सुधा मिश्रक चार मैथिली मुक्तक

~सुधा मिश्र~

हे नुतन वर्ष

हे नूतन वर्ष नवीन उमंग लअबिहा
जीवलेल जीवके नव तरंग लअबिहा
जुरेबा तुहु जुरायल देखि धरती गगन
कलशमे सजाक प्रह्लाद प्रसंग लअबिहा

सभ मायके बेटा तु बनिहे

हर्ष पसरि जाई ओहन काज तु करिहे
करेजा जुरा जाई तेहन भाव तु बटिहे
देखिएक तोरा गदगद होई सभलोक
हमरेटा नहि सभ मायके बेटा तु बनिहे

सोन सन पुत

शितल पवन गुमारक बनिजेतै
धिपल आदित्य जारक बनिजेतै
सँग सदिखन ईजोर रहतै ओकर
सोन सन पुत संसारक बनिजेतै

छि किछु हमहु

छि किछु हमहु मानिक तु चलिहे
ठानल काज पुर्ण कएक तु रहिहे
फुलाय लाय समुद्र नहि भेटौ सही
छोट खदहोमे कमल बनि तु रहिहे

सुधा मिश्र
जनकपुरधाम-४,धनुषा
प्रदेश न २,नेपाल

(स्रोत : रचनाकार स्वयंले ‘Kritisangraha@gmail.com‘ मा पठाईएको । )

This entry was posted in मैथिली मुक्तक and tagged . Bookmark the permalink.

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

This site uses Akismet to reduce spam. Learn how your comment data is processed.