मैथिली कथा : अग्‍निपुष्‍पके गुच्‍छासब

~रोशन जनकपुरी~Roshan Janakpuri

दुश्‍मनके नाइट भिजन हेलिकप्‍टर सँ राइत भइर बमबारी के बादो जनसेनाद्वारा कएल गेल घेराबन्‍दी नइ टुटल रहइ । जेना सिनेमा मे होइछै, चहुदिस पसरल अन्‍हारमे एम्‍हर बम खइस रहल अइ, ओम्‍हर बम खइस रहल अइ आ लोकसब दौड रहल अइ चइल रहल अइ , तहिना शाही सेना के घेराबन्‍दी कएने जनसेना मुख्‍य मोर्चा पर लइड रहल छल । युद्ध मोर्चामे एकटा खपरैल स्‍कूल के एकटा कोठरी के प्राथमिक अस्‍पताल बना क घायल जनसैनिकसबके प्रारम्‍भिक उपचार क क युद्धक्षेत्र सँ बाहर पठाओल जा रहल छल ।

ई काजरो सँ कारी अमवस्‍या के राइतबला अन्‍हरिया राइत के बम के विस्‍फोट आ स्‍वचालित हथियारसब स कखनो निरन्‍तर कखनो रूइक रूइक क फुलझडी जकाँ निकलल गोली सब के लाल पियर बैगनी इजोत मात्र प्रकाशित करैत छल। नइ त लम्‍बा मीलो पसरल सुखलका नदी के ओ क्षेत्र अन्‍हारे मे युद्धक साक्षी बइन रहल छल । युद्धक मुख्‍य मोर्चा बनल चूरे पर्वत श्रेणी के ओहि टिला स आइब रहल बम मसिनगन आ विविध आग्‍नेयास्‍त्रक समवेत भयावह आवाज एना बुझाइत छल जेना अअनेको ज्‍वालामुखी एक साथ फूइट रहल हो । आअ ोतह उइठ रहल आर्त चित्‍कार , क्रन्‍दन, नरकक आभास दइत छल ।…

ठीके युद्ध नरके होइत अइछ ।–एकटा घायल जनसैनिकके स्‍ट्रेचर पर सुताक दू गोटेके कन्‍हा पर रखैत हम बजलहुँ ।

अहाँ ठीक कहलहुँ , मुदा एहि नरकके समाप्‍तिक हेतु ई बाध्‍यात्‍मक युद्ध अछि । हमरा सहयोग क रहल प्रारम्‍भिक अस्‍पतालक रेखदेखक लेल नियुक्त कयल गेल कमाण्‍डर बाजल ।बगल स निर्देशनात्‍मक आवाज आएल–ठाढे ठाढे नइ, बेन्‍ड भ क डाँड मोइडक । अन्‍हारमे आँइख चियाइर क देखलियै, स्‍थानीयबासीसब आबाल वृद्ध युद्धक्षेत्र स बाहर भाइग रहल छल आ जनसैनिक आ युद्ध सहयोगी सब ओकरा सबके सुरक्षित पलायन मे सहयोग क रहल छल । करिब आधा किलोमीटर चौडाइबला एहि सुख्‍खल नदीके पछियारी किनारा सुरक्षित छल । ओकरा ओइकात एकटा छोट गाम छल जतह शरण लेल जा सकैत छल ।

फायर के गर्जनयुक्त आदेश सँगे शुरु भेल लडाइ भोर के करिब साढे तीन बजे तक चलल । भोरका इजोत शाही सेना के अतिरिक्त बल मगाब मे सहयोगी भ सकैत छल आ शायद अहि दुआरे रिट्रीट (लौटबाक) आदेश आएल ।युद्ध क मुख्‍य मोर्चा पर निरन्‍तर विस्‍फोट आ फायरिंगक लयबद्धता टुइट रहल छल । स्‍वास्‍थ्‍य मोर्चा पर नियुक्त आ सहयोगी व्‍यक्तिसब लौटैट जनसैनिक सबके अन्‍हारमे ठिकियाक चिन्‍हबाक कोशिस क रहल छल । ओकर चिन्‍हल लौट रहल अइछ कि नइ ? ई प्रश्‍न आ उत्‍सुकता सबहक चेहरा पर नाइच रहल छल ।युद्ध मोर्चा क समाचार आब चारुदिस पसैर रहल छल । जनसेनाक तीन तरफा मजबूत घेराबन्‍दी मे परल शाही सेना के एक सय अठारह जवानबला जत्‍था मे स कम स कम चौंसठ गोटे मारल गेल छल ।

ओ त करिब एक्‍के डेढ बजे दुश्‍मन निःसहाय भ क आत्‍मसमर्पण के मुद्रा मे एकटा कोना मे दुबैक गेल छल । हम सब त दू घण्‍टा स अन्‍हारे मे अपने मे फायरिंग क रहल छलहुा । जाँघ मे छर्रा लाइग क घायल एकटा सैनिक बाजल– नइ त जीत निश्‍चित छल ।

युद्ध के अधूरा छोरबाक चिरचिराहट प्रायः सब के चेहरा पर छल , जे लौटैत आ घायल सैनिकके स्‍थलगत देखरेखमे भेल तिल मात्र कोताही के बाद क्रोध पूर्ण व्‍यवहार मे प्रकट भ रहल छल ।

एहि भीषण युद्ध मे जनसेना दिस चालीस स बेसी घायल भेल छल आ पचीस गोट शहादत प्राप्‍त कयलक ।

।जनसेना के ई सिपाही सब जनता के ओह वर्गक धियापुता सब अइछ जे शासन आ अभिजात्‍य तथा सम्‍पन्‍न वर्गक पकडबला समाजद्वारा युग युग स कछेर पर ठाढ क देल गेल अइछ । एकरा सबके नइ कोनो दरमााक मोह नइ कोनो नीजी सुख सुविधाके मोह । बस एक्‍केटा आस जे जनयुद्ध सफल होएत त घूरत । सुखके दिन टुटली मरैया तक पहुँचत । लूट आ शोषण बला शासन अन्‍त होएत । लाल सलाम, जनताके सर्वोत्तम धीया पुता सब ।लाल सलाम , महान शहदि सब ।।–अपने आप हमर कसल मुठी सलामीक मुद्रामे अकाश दिस उइठ गेल । भोरका इजोत होब लागल छल । नदीके पछियारी काते काते दक्षिण दिस जाइत हम सब युद्ध मोर्चा स क्रमशः दूर होइट जा रहल छलहुँ । दुश्‍मनके अतिरिक्त बल हेलिकप्‍टर स पहुँच चुकल छल । मुदा शायद जनसेनाके वीरता स संत्रस्‍त दुश्‍मनके फाइटर हेलिकप्‍टर आकाशमे घुइम घुइमक एखनो तक बम खसाइए रहल छल । हमरा संगे चइल रहल एकटा कम्‍पनी कमाण्‍डर पाछु स हमर पिठ्ठी थपथपएलक ।आकाश दिस उठैत हमर कसल मुठ्ठी ओ देखि नेने छल ।उनैटक हम तकलहुँ । शायद ओ हमरा मन मे उठैत भावके पइढ लेने छल । राइत भइरके युद्धक थकान संगहि ओकरा आँइखमे उदासी सेहो छल । शायद ओकरो मनमे हमरे जकाँ भावसब उमइर घुमइर रहल छल । ओ कमाण्‍डर छल युद्ध मोर्चाक । ओकरो नेतृत्‍वमे युद्ध भेल छल जाहिमे सेहो शहीद आ घायल भेल छल कइएकटा जनसैनिक । के सब शहीद भेल? क ीओ जनैत अइछ? ….निश्‍चय ओ जनैत अइछ । ओकर आँइखक उदासी सैह कहैत अइछ । के सब भ सकैत अइछ? –मन भेल पुइछतिअइ, मुदा पुछलहुँ नइ, आ चलैत रहलहुँ चुपचाप ।

एहि सुखलाहा नदी के पछयारी कातक जंगलमे युद्धक तैयारी आ प्रशिक्षणक अनितम क्षणमे जनसेनाके जवान सबके एकटा बटालियनके सलामी स्‍वीकार करैत आ जवान सबस गर्मजोशी पूर्ण कडगर हाथ मिलाक बिदा करैत काल मनमे उठल भाव याद परल –एहिमे स के लौटत के नइ लौटत ? चिन्‍हल चेहरा सब एक एक क आँइखक आगू घूमए लागल । महोत्तरीके बुधनी , जकर पार्टी नाम छल कमरेड उष । तीन वर्ष पहिने पार्टी प्रवेश करैत कालके अन्‍तरमुखी विधवा आ सम्‍पत्तिक कारण अपन सासुर स प्रताडित बुधनी युद्ध प्रशिक्षणक क्रममे एक दिन हमरा कहने छलिह– कमरेड, सुबोध कमरेड हमरा प्रेम प्रस्‍ताव कएने अइछ कमाण्‍डरके हम सब संयुक्त आवेदन सेहो देने छी । जौं सब ठीक रहल त तीन महिनाके बाद हम सब विवाह करब । अहाँ जतह रही , अहाँके आब परत ।

गोर, हसमुख रेशबहादुर मगर याद परल , धनुषामे जकर पत्‍थर कूटएबाली विधवा बुढिया माय कनैत कहने रहइ–बौआ, तों त पहाडमे लड चइल जाइछे, मुदा हमरा के ओ देख बला नइ रहि जाइए ।बोखार लगला पर दबाइयो देब बला के ओ नइ रहि जाइए । मुदा ओ युद्ध स नइ लौटल । एकटा कवितामे ओ लिखने रहए– माय , हम नइ चाहैछी कोनो माय पत्‍थर कूटो, तय हम युद्ध मे छी ।

हमरा याद परल ओ नेवार्नी करिकबी दुबर पातर कमरेड कामिनी , जकरा मजदूर पतिके शाही सेना सब माओवादी होबके शंका मे निर्ममतापूर्वक पिटिपिटिक माइर देलकै । आ ओ अपन दू टा अबोध बच्‍चाके नाना नानी ग ध के जनसेनामे सामिल भ गेली ।हमर अनेको चिन्‍हल जानल सबमे स ई करिकबी नेवार्नी अत्‍यन्‍त प्रिय छलिह । ओ हमरे नइ सबहक प्रिय छलिह । कम मुदा मृदुभाषी, प्रत्‍येक मोर्चा पर सबस आगू बइढक लडनिहार । तैं सब कमाण्‍डर सब हुनका अपने समूहमे राख चाहैत छल ।
एक बेर हम बिमार भेल छलहुँ, बेहोश रहलहुा कए दिन । एहन अवस्‍थामे ओ हमर सब तरहक सेवा कएने रहथि । दोसर हुनक वर्गीय प्रेम आ बौद्धिकता हमरा हुनका संगे भावनात्‍मक सम्‍बन्‍ध बना देने छल । हम दाई (भैया) छलहुँ आ ओ छलिह बहिनी( बहिन) ।

दाई , आई हमरे क्‍याम्‍पमे खाउने ।–युद्धस एक दिन पहिने ओ हमरा नेओत देने छलिह । हम हँसिक आगू बइढ गेलहुँ, मुदा ओ दौडक हमरा मूँहमे माँउस एकटा टुकडा राइख देलनि आ हँस लगलिह ।…..एहन बहुतराश चिन्‍हल चेहरा आँइखक आगू नाच लागल ।

ककरो चिनहलियै की ? के सब शहीद भेल ? –रहल नइ गेल, आ सँगे चलैत कम्‍पनी कमाण्‍डरस हम पुछिए लेलियै ।

ओ किछु बाजए ओहिस पहिने हम दोसरो प्रश्‍न कयलियै जाहिमे हमर चिन्‍हल जानल कतेको नाम छल । भावना जेना हमरा गरसि रहल छल । राइतक युद्ध मोर्चाक कमरेड हम एकटा सामान्‍य मानवमे बदइल रहल छलहुँ ।

ओ किछु नइ बाजल । ओकर आँइखक उदासी ओहिना गँहीर छल । ठोर जेना कइसक बन्‍द छल । ओ निःशब्‍द चलैत रहल ।

दोसर दिन । किछु शहीद सबके लाश प्राप्‍त भेल छल । हमरा जानकारी भ चुकल छल– रेश बहादुर आ कमरेड कामिनी शहीद भ चुकल छलिह । कमरेड कामिनी बायच सकैत छलिह मुदा एकटा घायल जनसैनिकके सहारा द क लबैत काल हुनका गोली लागल छल ।

हमर मन भावना स भइर गेल छल । कमरेड कामिनीके स्‍मृति हमरा विचलित क रहल छल । निर्मम युद्धके भावना स कोनो मतलब नइ होइछै

सब शहीद सबके लाश सबके हसुवा हथौडी बला झण्‍डा ओढाओल गेल, सलामी देल गेल आ शहीदक चिता धुधुवा उठल । थाकल पैर आ भारी मन स हम सब सेल्‍टर दिस लौटलहुँ । मन नइ लाइग रहल छल । ओ कम्‍पनी कमाण्‍डर हमरा सँगे छल । ओ अखनो उदास आँइख नेने चुप छल । भावना स द्रवित मन एन भरल छल जेना सब किछु रुइक जाएत । अपन क्‍याम्‍पमे प्रवेश कयलहुँ त किछु पुरुष आ दू टा युवती प्रतिक्षा क रहल छलिह । हमर सहायक जानकारी करौलक जे ई सब जनसेनामे सामिल भेल नव कार्यकर्ता अइछ । मूँडी उठाक एकटा युवती के पुछलियै–की नाम अइछ?

रुपकुमारी : दोसरके सेहो पुछलियै –आ अहाँ के की अइछ ?

कामिनी : हम ओकर मूँह तकैत रहलहुँ , किछु काल निर्निमेष । फेर फूर्तिस क्‍याम्‍प स बाहार निकललहुँ आ ओहि कम्‍पनी कमाण्‍डरके जोडस बजैलियइ आ कहलियै–आउ कमरेड, देखियौ , कामिनी जीविते अइछ ।
हँ , कमरेड। शहीद सब अमर होइत अइछ ।–ओ बाजल ।

गोर मूहँबाली मैथिलानी कामिनी क्‍याम्‍पकद्वार पर स हमरा देखि रहल छलिह । आ हम देखि रहल छलहुँ क्‍याम्‍पक आगू मे फर्फराइत ललका झण्‍डाके मैथिलानी कामिनीके आ एम्‍हर ओम्‍हर गतिशील आ पुनः लयबद्ध होइत जनसेनाके पंक्ति सबके । हमर
सहायक धीरे स बाजल–शाही सेना मे मरबलामे एकटा हमर सबहक कम्‍पनी कमाण्‍डरक जेठ भाय से हो छल । आब हमर दृष्‍टि ओहि कमाण्‍डर पर स्‍थिर छल । ओकर आँइखक गँहीर उदासीक अर्थ आब हमरा लाइग रहल छल । ललका झण्‍डा अकाशमे र्फफराइए रहल छल, आस्‍था मन मे आर गँहीर भेल जा रहल छल । आ विश्‍वास पर एकटा आओर ईट रखा गेल –टुटली मरैया सके जीत निश्‍चित अइछ ।

दोसरके सेहो पुछलियै –आ अहाँ के की अइछ ?

कामिनी : हम ओकर मूँह तकैत रहलहुँ , किछु काल निर्निमेष । फेर फूर्तिस क्‍याम्‍प स बाहार निकललहुँ आ ओहि कम्‍पनी कमाण्‍डरके जोडस बजैलियइ आ कहलियै–आउ कमरेड, देखियौ , कामिनी जीविते अइछ ।

हँ , कमरेड। शहीद सब अमर होइत अइछ ।–ओ बाजल ।

गोर मूहँबाली मैथिलानी कामिनी क्‍याम्‍पकद्वार पर स हमरा देखि रहल छलिह । आ हम देखि रहल छलहुँ क्‍याम्‍पक आगू मे फर्फराइत ललका झण्‍डाके मैथिलानी कामिनीके आ एम्‍हर ओम्‍हर गतिशील आ पुनः लयबद्ध होइत जनसेनाके पंक्ति सबके । हमर सहायक धीरे स बाजल–शाही सेना मे मरबलामे एकटा हमर सबहक कम्‍पनी कमाण्‍डरक जेठ भाय से हो छल । आब हमर दृष्‍टि ओहि कमाण्‍डर पर स्‍थिर छल । ओकर आँइखक गँहीर उदासीक अर्थ आब हमरा लाइग रहल छल । ललका झण्‍डा अकाशमे र्फफराइए रहल छल, आस्‍था मन मे आर गँहीर भेल जा रहल छल । आ विश्‍वास पर एकटा आओर ईट रखा गेल –टुटली मरैया सके जीत निश्‍चित अइछ ।

(स्रोत : Maithali Katha)

About Sahitya - sangrahalaya

We will try to publish as much literary work of different authors collected from different sources. All of these work is not used for our profit . All the creative work belongs to their respective authors and publication. If requested by the user we will promptly remove the article from the website.
This entry was posted in मैथिली कथा and tagged . Bookmark the permalink.

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

This site uses Akismet to reduce spam. Learn how your comment data is processed.