~सुधा मिश्र~
हम बगियाके फुल गमैक हृदय अँहाक जाइय
हम सिनेहक लुती सुलैग हृदय अँहाक जाइय
कारी घनगर केश जखन बादल बनि वरैसय
वादुर पपिहा गवैय भिजैत हृदय अँहाक जाइय
कोमल हाथमे जखन कंगना रसे ससरैय
शँहनाई गुंजि उठैय खनैक हृदय अँहाक जाइय
नहु नहु चाल सँ जखन डार मोर लचकैय
राति सुहावन बनैय मचैल हृदय अँहाक जाइय
काजर सजल नयन जखन लाज सँ उठैय
तरंगित कोबर खुलैय बहैक हृदय अँहाक जाइय
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम-४,धनुषा
प्रदेश न २,नेपाल
(स्रोत : रचनाकार स्वयंले ‘Kritisangraha@gmail.com‘ मा पठाईएको । )