~सुधा मिश्र~
सजाक कलश प्रवेशद्वार
दक अरिपन लँ सिनुर पिठार
बेली चमेली गुलाब लक लाल
स्वागत अछि आउ हे नव साल
सुख समृद्धि लक ढेर
रचि उमंग उत्सवक बेर
बजाक संगीत सुरमय ताल
स्वागत अछि आउ हे नव साल
बेली चमेली गुलाब लक लाल
स्वागत अछि आउ हे नव साल
जगमे जगा ज्ञान ज्योति
लुटा प्रीत भरल मोती
ओछाक सिनेहक मिहिन जाल
स्वागत अछि आउ हे नव साल
बेली चमेली गुलाब लक लाल
स्वागत अछि आउ हे नव साल
बहारि सोहरि आँगन नीप
लेसि निष्ठा श्रद्धाक दीप
उडाक किचोर रंग अविर गुलाल
स्वागत अछि आउ हे नव साल
बेली चमेली गुलाब लक लाल
स्वागत अछि आउ हे नव साल
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम-४,धनुषा
प्रदेश न २,नेपाल
(स्रोत : रचनाकार स्वयंले ‘Kritisangraha@gmail.com‘ मा पठाईएको । )