~सुधा मिश्र~
प्रमेक गंगा बहे अँगना
शिर पर शोभे ताज गहना
दिर्धायू स्वस्थ चिंरजिवी रही
नव वर्षके अछि शुभकामना
खन्कबैत हाथक कंगना
गबैत मधुर वन्दना
लअ गीत संगीतक धूम
नव वर्ष आबे अंगना
ढाकि भरि लअ लाल गुलाब
संग लअ उमंगक बरियात
पुराब इच्छा अांकक्षा देखल स्वपन
अहाँक आंगन आबे नव साल
बनिक मधेशक वीर लाल
जगमे चिन्हाबी देशक नाम
नव सालक अछि शुभकामना
बनी धर्ती पर चम्कैत चान
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम-४,धनुषा
प्रदेश न २,नेपाल
(स्रोत : रचनाकार स्वयंले ‘Kritisangraha@gmail.com‘ मा पठाईएको । )