मैथिली गजल : बहूत दिनक बाद…

~मैथिल सुमन~

बहूत दिनक बाद आई एक टाs गजल बनल छै
टुटली मरैया चहूँदीस सज्जाकऽ महल बनल छै

अहाँक प्रितक वसन्त बहारक आगमनसँ प्रिया
साच्चे समुच्चा इ जीन्गी हमर सफल बनल छै

अनमोल प्रेमक बन्धन इ अपन नजि तें कहियो
भगवानक बनाओल अप्पन जोडी असल बनल छै

प्रेमक बगीयामे खिलल रहै जे सुन्दर गुलाब
अहींक प्रीतक सिञ्चनसँ प्रिय कमल बनल छै

गम्भीर,धीर आ स्थिर रहै जे सोझगर ई तन-मन
नेहक प्राप्तिसँ ‘हृदय’क जीन्गी चञ्चल बनल छै

-हृदय नारायण यादव(मैथिल सुमन)
धनगढीमाई-१०,श्यामपुर(सिरहा)
लहान-७,सिरहा

(स्रोत : रचनाकार स्वयंले ‘Kritisangraha@gmail.com‘ मा पठाईएको । )

This entry was posted in मैथिली गजल and tagged . Bookmark the permalink.

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

This site uses Akismet to reduce spam. Learn how your comment data is processed.