~धिरेन्द्र प्रेमर्षि~
शासनके लोडहीतर लोक बनल कुच्चा छै
लोडहपर हाथ जकर अगबे सब लुच्चा छै
कहने छल जत्ते छै खधिया हम पाटि देब
वैषम्यक ठाढ मुदा पर्वत समुच्चा छै
वर्षा छै, कोशी आ बागमतीक बात छोडू
बमबम करैत अखन छोटको टुकुच्चा छै
दू मूहा गनगोआरि रूप छै देखौआटा
पाएत तँ छोडत नइ, गहुमन ई सुच्चा छै
झाँपितोपि रखने अछि अपन कुकुरदँत्ताके
रहब नइ भ्रममे जे लोक ई दँतुच्चा छै
(स्रोत : Onlinesahitya )
Like this:
Like Loading...
Related
About Sahitya - sangrahalaya
We will try to publish as much literary work of different authors collected from different sources. All of these work is not used for our profit . All the creative work belongs to their respective authors and publication. If requested by the user we will promptly remove the article from the website.