Tag Archives: Maithali Gazal

मैथिली गजल : हम सिनेहक लुती

~सुधा मिश्र~ हम बगियाके फुल गमैक हृदय अँहाक जाइय हम सिनेहक लुती सुलैग हृदय अँहाक जाइय कारी घनगर केश जखन बादल बनि वरैसय वादुर पपिहा गवैय भिजैत हृदय अँहाक जाइय

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : नाक चुबैत पोटासन

~धीरेन्द्र प्रेमर्षि~ जिनगी अछि बड़ घिनाह नाक चुबैत पोटासन सुड़कि–सुड़कि तैयो छी ढोबि रहल मोटासन! पापक भुगताने लेल यदि लोक जनमैत अछि कसने छी तखन किएक साँसकेँ नङोटासन?

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : आधार बनल अछि

~धीरेन्द्र प्रेमर्षि~ आजुक जीत ने जीत हारि आधार बनल अछि आजुक रीति कुरीति नीति आचार बनल अछि सम्बन्धक संन्यास अपरिचित परिचित अछिए बन्धन मुक्तिक गीत आइ साकार बनल अछि

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : नहि कहु चान हमरा

~सुधा मिश्र~ नहि कहु चान हमरा दाग सँ कलंकित छै दिय नहि मान हमरा दान सँ कलंकित छै देख लिय मोन भरी जतेक देख सकी अँहा दिव्य रुपक काँया परान सँ कलंकित छै

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : दाग सँ कलंकित छै

~सुधा मिश्र~ नहि कहु चान हमरा दाग सँ कलंकित छै दिय नहि मान हमरा दान सँ कलंकित छै देख लिय मोन भरी जतेक देख सकी अँहा

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : कहके आँट रखैत छी

~सुधा मिश्र~ भुलि नई सक‌ैछी ने कहके आँट रखैत छी मोन ही मोन सही बहुत याद करैत छी व्याकुल होइछी जखन देखलाय सुरतके अँहाके डि.पी. के जुम कय कअ देखैत छी

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : मस्त भेल छै

~धीरेन्द्र प्रेमर्षि~ राजनीति खुब मस्त भेल छै सोनित सभसँ सस्त भेल छै जन-जनके जी-जान उड़ाबऽ सेना-पुलिसक गश्त भेल छै

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : सएह जनु अदालत छै

~धीरेन्द्र प्रेमर्षि~ चण्ठ-अदा लत करै, सएह जनु अदालत छै लण्ठ मोहब्बत करै, सएह जनु अदालत छै गीताकेर गञ्जनलए सप्पतटा खुआ-खुआ झूठकेँ जे सत करै, सएह जनु अदालत छै

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : हमरा गामेमे

~विद्यानन्द वेदर्दी~ मधुरी पियार भेटैए हमरा गामेमे खूशी अपार भेटैए हमरा गामेमे॥ दलान,खेत-खरिहान,चौरी चाँचर, अंगना दुआर भेटैए हमरा गामेमे॥

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : बहूत दिनक बाद…

~मैथिल सुमन~ बहूत दिनक बाद आई एक टाs गजल बनल छै टुटली मरैया चहूँदीस सज्जाकऽ महल बनल छै अहाँक प्रितक वसन्त बहारक आगमनसँ प्रिया साच्चे समुच्चा इ जीन्गी हमर सफल बनल छै

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : निक विचार नञि देखलाैं

~हृदय नारायण यादव ‘मैथिल सुमन’~ अहाँ भितर निक विचार नञि देखलाैँ कहियाे, विश्वास कsसकी अाे विचार नञि देखलाैँ कहियाे, अहाँ भितर निक विचार नञि देखलाैँ कहियाे, विश्वास कsसकी अाे विचार नञि देखलाैँ कहियाे, अहाँ भितर निक विचार नञि देखलाैँ कहियाे…

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : केहन बात केलक ओ

~गजेन्द्र गजुर~ आखिए आखिए मे केहन बात केलक ओ॥ अपन जिनगी सँ क्षणमे कात केलक ओ॥ बिन छपरी केर हमर नेहक निवास॥ बुने बन सँ जहरक बर्षात केलक ओ॥

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : बेर बेर सवाल

~गजेन्द्र गजुर~ बेर बेर सवाल हमर याह रहैछै सत्य बात किए लगैत बेजाह रहैछै अपना टाग्ङ तर दाबल रहलो पर कछेर प पुहुचेने किए नाह रहैछै

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : पिअरगर यौ

~धिरेन्द्र प्रेमर्षि~ जोरजुलुमसँ जे ने झुकए से भाले लगए पिअरगर यौ इन्द्रधनुषी एहि दुनियामे लाले लगए पिअरगर यौ ठोरे जँ सीयल रहतै तँ गुदुर–बुदुर की हेतै कपार! एहन मुर्दा शान्तिसँ तँ बबाले लगए पिअरगर यौ कुच्ची–कलमक रूप सुरेबगर रहलै, रहतै … Continue reading

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : डर लगैए

~रोशन जनकपुरी~ नाचि रहल गिरगिटिया कोना, डर लगैए साँच झूठमे झिझिरकोना, डर लगैए कफन पहिरने लोक घुमए एम्हर ओमहर शहर बनल मरघटके बिछौना, डर लगैए

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : जर्सी छी

~धीरेन्द्र प्रेमर्षि~ सिहकैत कनकन्नीमे सीटर छी, जर्सी छी मखा-मखा प्रेम करी, मोनक प्रेमर्षि छी चानक धियानमे धरती नहि छूटए, तेँ डिहबारक भगता हम दूरक ने दर्शी छी

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : जाइ छै

~डा राजेन्द्र विमल~ नयनमे उगै छै जे सपनाकेर कोँढ़ी, फुलएबासँ पहिने सभ झरि जाइ छै कलमक सिनूरदान पएबासँ पहिने, गीत काँचे कुमारेमे मरि जाइ छै चान भादवक अन्हरिये कटैत अहुरिया, नुका मेघक तुराइमे हिंचुकै छल जे बिछा चानीक इजोरिया कोजगरामे … Continue reading

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : कुच्चा छै

~धिरेन्द्र प्रेमर्षि~ शासनके लोडहीतर लोक बनल कुच्चा छै लोडहपर हाथ जकर अगबे सब लुच्चा छै कहने छल जत्ते छै खधिया हम पाटि देब वैषम्यक ठाढ मुदा पर्वत समुच्चा छै

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : चोख फार भेल छी

~धीरेन्द्र प्रेमर्षि~ घसाइत आ खिआइत चोख फार भेल छी गला-गला गात गजलकार भेल छी शब्दकेर महफामे भावक वर-कनियाँ लऽ सदिखन हम दुलकैत कहार भेल छी धधराक धाह मारऽ पोखरि खुनाएल अछि

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : एखन बाँकी अछि

~रामभरोस कापडि ‘भ्रमर’~ करिछौंह मेघके फाटब, एखन बाँकी अछि चम्कैत बिजलैँकाके सैंतब, एखन बाँकी अछि उठैत अछि बुलबुल्ला फूटि जाइछ व्यथा बनि पानिके अड़ाबे से सागर, एखन बाँकी अछि

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment

मैथिली गजल : आजादी

~गजेन्द्र गजुर~ आजादीके ज्वाला दनकैत रहतै, ओसब ओहिना फनकैत रहतै, जुलुम कले चिच्यानञि रति भरि, चाहे बिरुद्धमे सनकैत रहतै,

Posted in मैथिली गजल | Tagged | 2 Comments

मैथिली गजल : जोरजुलुमसँ जे ने झुकए से भाले लगए पिअरगर यौ

~धीरेन्द्र प्रेमर्षि~ जोरजुलुमसँ जे ने झुकए से भाले लगए पिअरगर यौ इन्द्रधनुषी एहि दुनियामे लाले लगए पिअरगर यौ ठोरे जँ सीयल रहतै तँ गुदुर–बुदुर की हेतै कपार! एहन मुर्दा शान्तिसँ तँ बबाले लगए पिअरगर यौ

Posted in मैथिली गजल | Tagged | Leave a comment